बिहार मे बढ़ल पंचायत चुनावक सरगर्मी

    0
    382

    देहरादून,मिथिला मिरर-सोनू कुमार झाः मौसम मे जेना-जेना गर्मी बढ़ल चाइत अछि ओहिना बिहार मे मुखिया चुनावक सरगर्मी सेहो बढ़ल जाइत अछि। बिहार विधनसभा चुनाव बीतलाक बाद आब सब चौक-चौराहा पर चायक चुस्की संगहि मुखिया चुनावक चर्चा जोर पकरि रहल अछि। मुखिया प्रत्याशी कए लोग अपन-अपन मूल्यांकनक आधार पर हरा-जीता रहल अछि। सब कियो अपन स्तर सं चुनावक आकलन कए रह अछि आओर अपन पसंदक प्रत्याशी कए जीतबाक भविष्यवाणी क रहल अछि। मिथलांचल समेत पूरा बिहार मे एखन सब चौक-चौराहा पर मात्र पंचायते चुनवक चर्चा भ रहल अछि। अहि सिलसिला मे रैयाम चीनी मिल सं एक किमीक दूरी पर बलिया पंचायतक पूर्व मुखिया गणपति चौधरी आओर मनोज झा मुखिया पदक लेल नामांकन केला। ओना त अहि पंचायतक आओर बहुतों मुख्या पदक लेल चुनाव लड़ि रहल छथि मुदा मानल जा रहल अछि जे हिनका दूनू कए बीच जबरदस्त टक्कर अछि। दूनू गोटा समाज मे अपन बढ़िया छवि कए लेल जानल जाइ छथि।

    जतय गणपति चौधरी कए पिछला चुनाव लड़बाक अनुभव अछि त ओतय किछु नुकसान सेहो, किए त ओ पिछला बेरक मुखिया छथि आ बतेल जाइत अछि जे पंचायतक खास क बलिया कए किछु जनता हुनका सं नाराज अछि। जाहि कए फाइदा मनोज झा जमी कए उठेता। हालांकि मनोज झा कोनो तरहक चुनाव पहिल बेर लड़ि रहल छथि। जाहि कारणे जनताक नब्ज पकरय मे हुनका किछु टाइम जरूर लागत।बलिया पंचायत मे ज्यादातर वोटरक संख्या बलिया मे अछि बावजूद अहि कए पिछला तीन बेर सं बेलामक मुखिया बनइत रहल, किए त बलिया सं सब बेर 5-7 टा कैंडिडेट ठार भ जाइत छल, जाहि करणे बलिया मुखियाक पद सं वंचित रहि जाइत छल आओर सिर्फ मुखिये किए बलिया मे पंचायतक आधा सं ज्यादा वोटर भेलाक बादो सिर्फ बलिया कए पैक्स अध्यक्षक अलावा कोनो पद नहि भेट पावइत अछि। बलिया पैक्स मे बलिया सं पिछला दू बेर सं कांग्रेसक वरिष्ठ नेता स्व. चन्द्र कान्त झा काबिज छला मुदा साल 2015 मे हुनका आकस्मिकमृत्यू भेलाक बाद हुनक पइघ पुतोहू नीतू झा चुनाव लड़ली आ ओ रिकॉर्ड वोट सं विजय भेली।

    अहि चुनावक बाद बलिया गांवक आंखि खुलल आ सब मिल सोचला जे अगर अपना गांव सं एक या दू टाकैंडिडेट कए मैदान मे उतारी त मुखिया पद सेहो फेर सं बलिया मे आबि सकेत अछि। जाहि कारणे अहि बेर बलिया सं सिर्फ दू टा कैंडिडेट मुखिया पद लेल ठार छथि। जाहि मे मनोज झा कए काफी संख्या मे लोग समर्थन कए रहल अछि आ मनल जाइत अछि जे अहि पंचायत मे अगर कोनो कैंडिडेट कए लगभग 50 फीसदी बलिया कए  वोटरक समर्थन भेट जाइत अछि त ओकर जीत सुनिस्चित अछि। गणपति चौधरी पिछला बेर अहि मे कामयाब रहला जाहि खातिर ओ पिछला बेर जीतल छला।

    खैर अहि बेर देखय बाला रहत जे कि गणपति चौधरी फेर बलिया पंचायतक जनता पर अपन पकड़ बरकरार राखि जीतक सिलसिला आगू बढेता, या फेर बलियाक जनता अपन 15 सालक सुखा कए अहि बेर समाप्त करत ?