समस्तीपुर सदर अस्पताल मे बनत 200 बेडक वार्ड

    0
    550

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: जिला के सदर अस्पताल मे आब 200 बेडक वार्ड बनेनाइ सुनिश्चित नही गेल अछि। रविदिन जिलाधिकारी प्रणव कुमार अस्पताल मे स्थलक निरीक्षण केलनि। डीएम रेड क्रॉस भवन के समीप बनल पुरान क्वार्टर के तोड़िकय खाली होबय वला जगह के अहि के लेल उपयुक्त स्थल बतौलनि।

    ओ सिविल सर्जन डॉ. अवध कुमार के 200 बेड वला अस्पताल निर्माण स संबंधित प्रस्ताव जल्द स जल्द बनेबाक निर्देश देलनि। ज्ञात हो कि पूर्व मे सेहो अहि तरहक प्रस्ताव देल गेल छल। मुदा जगह खाली नहि हेबा के कारण नहि बनि सकल छल। उक्त स्थल पर जिला स्वास्थ्य समितिक कार्यालय व कर्मचारीक आवास सेहो बनत।

    सदर अस्पताल मे शराबबंदीक बाद वार्ड के नशा मुक्ति केंद्र बनेबाक बाद मरीज के काफी दिक्कत आबि रहल अछि। अहि दिन मे सिर्फ इमरजेंसी वार्डक सहारे सदर अस्पताल चलि रहल अछि।