एसकेएमसीएचमे मारिपीटक खिलाफ पटनामे डॉक्टरक प्रदर्शन

    0
    264

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक मुजफ्फरपुरकें एसकेएमसीएचमे डॉक्टरक संग भेल मारिपीटक घटनाके विरोधमे पटना सिटीक अगमकुआं स्थित नालंदा मेडिकल कॉलेज अस्पतालक जूनियर डॉक्टर 48 घंटाके सांकेतिक हड़ताल पर चलि गेलहा।

    जूनियर डॉक्टर ओपीडी, ओटी आ वार्डक ड्यूटी सं स्वंकें रखलनि। हालांकि ओ इमरजेंसी ड्यूटी कए रहल छथि। एकेएससीएचमे मारिपीट मामलाक लए जूनियर डॉक्टर अस्पताल परिसरमे प्रदर्शन कए अपन आक्रोश प्रकट केलनि।

    जूनियर डॉक्टर राज्य सरकार सं मेडिकल प्रोटेक्शन एक्टकें लागू करबाक आ मारिपीटक घटनाके आरोपी पर कठोर करवाईकें मांगक लेल 48 घंटाक बाद अनिश्चितकालीन हड़ताल पर जेबाक चेतावनी देलनि। जूनियर डॉक्टरक सांकेतिक हड़ताल सं अस्पतालमे स्वास्थ्य सुविधा प्रभावित भेल अछि, हालांकि सीनियर डॉक्टर अपन ड्यूटी कए रहल छथि। हड़तालकें देखैत अस्पताल प्रशासन द्वारा 31 डॉक्टरक प्रतिनियुक्ति कराओल गेल अछि।