पुलिस विभागमे भारी फेरबदल

    0
    282

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार पुलिस मुख्यालयमे व्यापक पैमाना पर आईपीएस अधिकारीक फेरबदल कएल गेल अछि। जाहिमे अधिकांश मुख्यालय स्तरक अधिकारी छथि। एडीजी सुनील कुमारकें डीजी बिहार पुलिस अकादमीक पद पर तैनात कएल गेल अछि, कुमारकें डीजी बिहार सैन्य पुलिसक अतिरिक्त प्रभार सेहो देल गेल अछि। पटनाक पूर्व एसएसपी विकास वैभवकें डीआईजी भागलपुर बनाओल गेल।

    एस.के सिंघलकें एडीजी मुख्यालय, अलोक राजकें एडीजी स्पेशल ब्रांचक अतिरित प्रभार देल गेल जहनकि एके अंबेडकरकें एडी़जी सह अपर असैनिक सुरक्षा आयुक्त, उपेन्द्र कुमार सिन्हाकें आईजी निगरानीके पद पर तैनात कएल गेल।

    अहिकेँ अलावा सतीश कुमारकें आईजी मनवाधिकार आयोग, गोपाल प्रसादकें आईजी बिहार सैन्य पुलिस, विनोद कुमारकें डीआईजी दरभंगा आ मुंगेर डीआईजीक अतिरिक्त प्रभार देल गेल। अनिल कुमार सिंहकें तिरहुत प्रक्षेत्रक डीआईजीक संग डीआईजी बेतियाक अतिरिक्त प्रभार देल गेल।

    रत्न मणि संजीवकें बीएमपी 5 कें समदेष्टाक अतिरिक्त प्रभारक संग बाबु राम बीएमपी 7 के समादेष्टा बनाओल गेल। मीनू कुमारीकें एसपी खगड़ियाके पद पर तैनात कएल गेल।