मैथिली कथा के संजीवनी दैत अछि ‘सगर राति दीप जरय’

    0
    333
    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: ‘सगर राति दीप जरय’ के माध्यम सं मैथिली कहानी के बचेबाक प्रयास कायल जा रहल अछि। ई स्वत: स्फूर्त कार्यक्रम अछि। अहि मे शामिल होबय वला साहित्यकार के कोनो तरहक पारिश्रमिक आदि नहि देल जाइत अछि, बल्कि स्वं खर्च कय लोक आयोजन मे पहुंचैत छथि।
    ई मैथिली संस्कृति आ साहित्य के बचेबाक प्रयास अछि, जकरा प्रेरणा भले पंजाब सं लेल गेल हो, मुदा ‘सगर राति दीप जरय’ के लोकप्रियता लगातार बढ़ि रहल अछि। मैथिली लोक संस्कृति मे रचल बसल कहानी के ई मंच बहुतो साहित्यक पुरोधा के निखारि,  जाहि मे एहि बेरक साहित्य अकादमी विजेता श्याम दरिहरे सेहो शामिल छथि। ई सिलसिला आगू धरि जारी रहयवला अछि, कियैक त नव पीढ़ीक साहित्यकार एहि मे खूब रुचि लय रहल छथि।