हत्या’क विरोध मे सड़क पर उतरल भाकपा (माले’क) कार्यकर्ता

    0
    476

    अररिया, मिथिला मिरर: बिहारक अररिया के भरगामा मे दू गोट माले नेताक भेल हत्याक बाद जिला मे राजनितिक सरगर्मी चरम पर अछि। बुधदिन भाकपा माले’क सैंकड़ो कार्यकर्ता राज्यव्यापी चक्का जाम के तहत सड़क जाम केलक। सड़क पर उतरल कार्यकर्ता पूर्णिया मे जमिकय प्रदर्शन केलक आ हत्याकांड मे शामिल लोकक गिरफ़्तारी नहि हेबा पर बिहार सरकार विरोधी नारा लगौलक।

    माले के जिला प्रवक्ता नवल किशोर अहि हत्याकांड मे नरपतगंजक राजद विधायक अनिल यादव पर जातीय गोलबंदीक लेल साजिश मे शामिल हेबाक गंभीर आरोप लगौलक। ज्ञात हो कि अररिया मे माँछ मारबाक दौरान उत्पन्न विवाद के बाद दू गोट माले नेताक हत्या कय देल गेल छल। हत्याक विरोध मे पार्टी बुधदिन राज्य भरि मे प्रदर्शन कय रहल अछि।