निगम चुनाव पर केजरीवालक विवादित बोल

    0
    282

    दिल्ली, मिथिला मिरर: पांच राज्यक चुनाव परिणाम एलाक बाद इलेक्ट्रॉनिक वोटिंग मशीनकें लए लगातार सवाल उठा रहल दिल्लीके मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल चुनाव आयोग पर नब तरिका सं हमला केलनि अछि। अरविंद केजरीवाल बैलेट पेपर सं चुनावक मांग करबाक संग-संग इहो मांग केलनि अछि जे, दिल्ली नगर निगम चुनावकें फिलहाल टालि देल जाए। जाहि सं चुनाव आयोग हैरान अछि।

    सोमदिन पत्रकार सं वार्ता के दौरान आम आदमी पार्टीके मुखिया अरविंद केजरीवाल चुनाव आयोग पर बहुत रास आरोप लगेलनि। समाचार एजेंसी पीटीआइके अनुसार, अरविंद केजरीवाल चुनाव टालबाक सेहो मांग केलनि।

    सोमदिन केजरीवाल पत्रकार सम्मलेनमे ईवीएम पर सवाल उठेने छलाह। संगहि ओ चुनाव आयोगकें चुनौती सेहो देने छलाह। मुख्यमंत्री केजरीवाल सवाल उठेलनि जे, चुनाव आयोगके सामने ऐहेन कोन मजबूरी छल जे, कानपुर सं मध्य प्रदेशके भिंडमे उपचुनावक लेल ईवीएम पठाओल गेल।

    ओ कहलनि जे, अहि ईवीएममे कोनो बटन डाबला सं वीवीपैट मशीन सं भाजपाक चुनाव चिन्हक पर्ची निकलैत अछि। ओहि पर भाजपा प्रत्याशी सत्यदेव पचौरीक नाम छपि कए आबि रहल छल। सत्यदेव पचौरी पैघ अंतर सं जीत दर्ज केने छलाह।