जमानत भेटतहि रामदेव पर फेर बरसलाह दिग्विजय सिंह

    0
    326

    वैशाली, मिथिला मिरर: वैशाली के एकटा अदालत कांग्रेस महासचिव दिग्विजय सिंह के चारि साल पूर्व योग गुरु रामदेव के खिलाफ आपत्तिजनक टिप्पणी करबाक एकटा मामला मे बुधदिन जमानत दय देलक।

    वैशाली जिला मुख्यालय हाजीपुर के पोखरा मोहल्ला निवासी आ भाजपा के जिला स्तर के नेता अजित कुमार वर्ष 2012 मे दिग्विजय पर योग गुरु रामदेव आ पतंजलि योगपीठ के बालकृष्ण पर आपत्तिजनक बयान देबाक आरोप लगेने छल।

    अहि मामला मे अदालत द्वारा जारी कायल गेल वारंट के पालन करैत कांग्रेस महासचिव अदालत मे उपस्थित छलाह। अदालत दुनु पक्षक दलीलें सुनबाक बाद पांच-पांच हजार रुपैयाक दू टा मुचलका के शर्त पर दिग्विजय के जमानत दय देलक।

    अदालत परिसर सं बाहर निकलैत देरी दिग्विजय योग गुरु पर एक बेर फेर अपराधी प्रवृति के हेबाक आरोप लगौलनि। दिग्विजय कहलनि जे, सीबीआई हुनका लिखाफ जांच कय रहल अछि।  सब मामलाक खुलासा जल्दिये भय जायत।