मुजफ्फरपुर आ पटनामे डीटीओक घरमे छापा, लाखोक नगदी आ सोना बरामद

0
1328

मिथिला मिरर, पटनाः बिहारक राजधानी पटना आ मुजफ्फरपुरमे एक संगे जिला परिवहन पदाधिकारी (डीटीओ) राजेश लालक घर पर निगरानी विभाग द्वारा छापामारी कएल जा रहल अछि। प्राप्त जानकारीक मुताबिक डीटीओ राजेश लालक पटनाक कंकड़बाग स्थित घरसऽ करीब 50 लाख नगदी, सोना सहित अन्य आभूषण सेहो बरामद कएल गेल अछि आ निगरानी विभाग एकर मुल्यांकन कए रहल अछि। एतबे नहि निगरानी विभाग मुजफ्फरपुर स्थित डीटीओक घर पर सेहो छापामारी कए रहल अछि जाहिठाम सऽ सेहो बहुत किछु भेटबाक बात कहल जा रहल छैक।
अपनेकेँ बता दी जे डीटीओ राजेश लाल लग मुजफ्फरपुरक अलावे छपराक सेहो अतिरिक्त प्रभार छनि। पैछला किुछ समय सऽ राजेश लाल शककेँ घेरामे छलाह आ हुनका पर निगरानी विभाग पहिने सऽ मुकदमा सेहो दर्ज कएने छल। मुजफ्ुफरपुर डीटीओ कार्यालायमे गाड़ीक फर्जी निबंधन आ गाड़ी लेन-देनमे सेहो धोखाधड़ीक बात सेहो सोंझा आएल छल। पटनामे छापेमारी दलक नेतृत्व कए रहल अधिकारीक कहब छनि जे उक्त डीटीओ अधिकारी सऽ पूछताछ सेहो कएल जा रहल अछि।