समस्तीपुरमे विधानसभा अध्यक्षकें समक्ष हंगामा

    0
    256

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहार दिवस समारोहमे पटेल मैदान पहुंचल बिहार विधानसभा अध्यक्ष विजय चौधरीके समक्ष होमगार्ड आ वित्त रहित शिक्षक जमिकय हंगामा केलक। बुझेबाक लेल गेल बिहार पुलिसक संग होमगार्डक जवान नोकझोंकसेहो केलक। बिहार विधानसभा अध्यक्ष द्वारा समारोहकें संबोधित केनाई शुरू करितहि पाछु ठाढ़ होमगार्डक जवान तथा वित्त रहित शिक्षक समान काजक बदले समान वेतन’क मांगकें लय हंगामा मचा देलक। सरकारकें खिलाफ जोर-जोर सं नारेबाजी शुरू कय देलक।

    पुलिस द्वारा रोकबाक कोशिश पर पुलिसक संग उलझि गेल। बादमे जिलाधिकारी आंदोलनकारी नेताकें बजा कय समझेलनि तहन ओ शांत भेल। हालांकि विधानसभा अध्यक्ष कार्यक्रमक बाद निकलबाक क्रममे पटेल मैदानक गेट पर गाड़ीकें घेर कय फेर नारेबाजी शुरू भेल। मुदा पुलिस द्वारा रास्ता खाली कराकय विधानसभा अध्यक्ष आ सहकारिता मंत्री आलोक कुमार मेहता’क गाड़ीकें निकालल गेल।