पशु लादल ट्रक जब्त, चालक समेत दू गोटे गिरफ्तार

    0
    310

    दरभंगा, मिथिला मिरर: अतरबेल-विशनपुर पथ पर अरई पुलक समीप बृहस्पति दिन वाहन चेकिंग अभियान के दौरान सिमरी थानाक पुलिस ट्रक पर लादल दू दर्जन अवैध पशु कें जब्त केलक अछि। संगहि चालक व उपचालक के गिरफ्तार कय चारि गोटेक खिलाफ पशु क्रुरता एंव तस्करी अधिनियम के तहत मामला दर्ज कायल गेल।

    जानकारी के अनुसार गुप्त सूचनाक आधार पर बृहस्पति दिन भोर मे अतरबेल जाले पथ पर अरई पुलक समीप चेकिंग के क्रम मे भागि रहल ट्रक पर 21टा महिष के बान्हि कय राखल गेल छल। कागजात प्रस्तुत नहि केला पर ट्रकक चालक पटना दुल्हन बाजार थाना सिघाड़ा कोपा निवासी जुबेर हसन व उपचालक हाजीपुर वैशाली थानाक सुभई मजीराबाद के हैदर अली के गिरफ्तार कय ट्रक व महिष जब्त कय लेलक।

    गिरफ्तार चालक पुलिस के कहलक अछि जे, समस्तीपुर वारिशनगर थानाक माधोपुर निवासी मों सितारा कुल 21 गोट मवेशीक सकरी मधुबनी पहुंचेबाक लेल देने छल। व्यपारी के एबा पर मवेशी डिलेवरी देबाक छल। ट्रक चालक खुलासा केलक अछि जे, संगठीत गिरोह द्वारा अवैन पशु तस्करीक नियत स महीना मे दू बेर मवेशी ट्रक स पहुँचैत अछि।