दिल्लीमे पूर्वांचल समाजकें खूब सम्मान देलक भाजपा: मनोज तिवारी

    0
    282

    दिल्ली, मिथिला मिरर: नगर निगम चुनावकें देखैत भाजपा प्रचारमे पूरा दम लगा देलक अछि। अहि कड़ीमे विजय विकास यात्राक जरिए महरौली पहुंचल भाजपा प्रदेश अध्यक्ष मनोज तिवारी कहलनि जे, भाजपा पहिल राजनीतिक पार्टी अछि, जे दिल्ली महानगरके चरित्रक सम्मान करैत पूर्वांचलके मूल निवासीकें पार्टी अध्यक्षक जिम्मेदारी देलक अछि। ओ कहलनि जे, दिल्लीमे कांग्रेस आ आम आदमी पार्टी दुनु पूर्वांचल वासिक वोट बैंक त बनेलक मुदा कहियो ओ सम्मान नहि देलक, जकर ओ हकदार अछि।

    तिवारी कहलनि जे, भाजपा जे सम्मान हमरा देलक अछि ओ समुच्चा पूर्वांचल समाजक सम्मान अछि। पूर्वांचल वासीके दिल्लीमे योगदानक सम्मान अछि आ हमर विश्वास अछि जे, पूर्वांचलवासी निगम चुनावमे भाजपाकें विजयी बना कय पार्टी नेतृत्वक आभार प्रकट करत।

    तिवारी कहलनि जे, अहि चुनावमे पूर्वांचलवासीकें कांग्रेस सँ विशेष सावधान रहबाक आवश्यक अछि। ई पार्टी बिहारमे अपन गठबंधनक लाभ उठाकय दिल्लीमे पूर्वांचल वोटके बंटबाक मकसद सँ नीतीश कुमार पर दबाव दए वोट विभाजनक लेल उतारलक अछि।