शार्ट सर्किट सं लागल आगिमे एक लाखक संपत्ति जरिकय खाक

    0
    307

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: थाना क्षेत्रक भूपतपुर गाममे रविदिन करीब दू बजे विद्युत शार्ट सर्किट सं अचानक आगि लागला सं एकटा घर जरिकय राख भए गेल। जाहिमे करीब एक लाखक संपत्ति जरिकय नष्ट भए गेल। ग्रामीणक सहयोग सं कोनो तरह आगि पर काबू कएल गेल।

    घटनाक सूचना भेटितहि थानाध्यक्ष शैलेन्द्र कुमार विधाकर दलबलके संग पहुंच कय बचाव काजमे जुटि गेलाह। भूपतपुर गाम निवासी राजेन्द्र महतो उर्फ जज साहेबके घरमे लागल बिजलीक शार्ट सर्किटके कारण आगि लागल छल।