49 बोतल नेपाली शराब’क संग दू गोटे गिरफ्तार

    0
    296

     

    मधुबनी, मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झा: मधुबनी के हरलाखी थाना पुलिस मंगलदिन राति मे महादेवपट्टी गामक समीप मोटरसाइकिल चेकिंग के दौरान 49 बोतल नेपाली शराबक संग दू टा युवक के गिरफ्तार केलक अछि। गिरफ्तार युवक मे एकटा बासोपट्टी के भालपट्टी गामक दीपक कुमार राम आ दोसर बासोपट्टी के केशव कुमार प्रसाद बताओल जा रहल अछि।

    थानाध्यक्ष संजय कुमार के अनुसार दूनू युवक मोटरसाइकल पर बैग मे शराब राखिकय नेपाल स उमगांव जा रहल छल। जतय मोटरसाइकल चेकिंग के दौरान दूनू के गिरफ्तार कायल गेल। अहि मामला मे सब इंस्पेक्टर सीताराम साह के बयान पर थाना मे दूनू युवक के विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज कायल गेल अछि।