कांग्रेस आ रालोसपा बढौलक राजद केँ टेंशन! तेजस्वी केँ मुख्यमंत्री उम्मीदवार मानबा सँ कएलक मना

0
604

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनाव केँ देखैत सियासी चाल चलल जा रहल अछि। राजनीतिक गहमागहमी केँ बीच एकटा पैघ खबरि भेट रहल अछि। खबरि ई अछि जे महागठबंधन केँ दूटा घटक दल तेजस्वी यादव केँ मुख्यमंत्री उम्मीदवार मानबा सँ मना क’ देलक अछि। बतादी जे राजद केँ कहब छनि जे तेजस्वी केँ नेतृत्व मे चुनाव लड़ल जाय। मुदा बिहार प्रदेश कांग्रेस कमेटी केँ कार्यकारी अध्यक्ष सुरेंद्र सिंह धीरज कहलनि अछि जे मुख्यमंत्री केँ चेहरा के हेताह आब एकर फैसला पार्टीक आलाकमान करताह। पैछला 42 बरख सँ एहि बातक निर्णय पार्टी अध्यक्ष करैत छथि तेँ अंतिम निर्णय हुनके मान्य होयत। तेजस्वी यादव पर कहलनि जे राजद अपन पार्टीक चेहरा घोषित करबाक लेल स्वतंत्र अछि। तहिना कांग्रेस पार्टी अपना हिसाबे चेहरा तय करत। मुदा महागठबंधन मे मुख्यमंत्री केँ चेहरा के हेताह एकर निर्णय सर्वसम्मति सँ लेल जायत। जँ सभके स्वीकार्य होयत त’ ठीक नै त’ पार्टी अपन  रणनीति तय करत। बतादी जे मंगलदिन कांग्रेस अपन 200 संभावित उम्मीदवार लोकनिक  नाम तय क’ लेलक अछि।

दोसर दिस उपेंद्र कुशवाहाक राष्ट्रीय लोक समता पार्टी यानी रालोसपा मुख्यमंत्री चेहरा पर राजदक दावा केँ खारिज क’ देलक अछि। पार्टी प्रवक्ता धीरज सिंह कुशवाहा कहलनि अछि जे मुख्यमंत्री पद केँ उम्मीदवार के हेताह अखनि फैसला नहि भेल अछि। एहन मे हरेक दल के अपन अधिकार छैक किनको चेहरा घोषित क’ सकैत अछि। अखनि महागठबंधन मे एही पर कोनो विचार नै कएल गेल अछि। एही मुद्दा पर अंतिम निर्णय सभक सहमति सँ लेल जायत।

एही पूरा मामला पर चुटकी लैत सीतामढ़ीक सांसद आ वरिष्ठ जदयू नेता सुनील कुमार पिंटू कहलनि अछि जे चुनावी लड़ाई त’ नीतीश कुमार आ लालू यादव केँ बीच अछि। तेजस्वी त’ ट्वीटर बॉय छथि। देखबाक बात ई अछि जे एही मामला पर राजद की प्रतिक्रिया दैत अछि।