भावना झा पर बियाह समारोहमे लड़कीकेँ पिता सं दुर्व्यवहारक आरोप झूठ

    0
    304

    मधुबनी/बेनिपट्टी, मिथिला मिरर-निशांत झा: विधायक भावना झा पर कॉंग्रेस पार्टी कार्यालय परिसरमे आयोजित एकटा बियाह समारोहमे आयोजनकर्ताक संग अभद्र व्यवहार करबा पर विपक्षी द्वारा लगाओल गेल आरोप एकटा राजनीतिक साजिश अछि, उक्त बात लड़कीकेँ पिता आ समारोहक आयोजक श्याम कुमार साह कहलनि अछि।

    ओ कहलनि जे, विधायक भावना झा कोनो तरहक अभद्र व्यवहार नहि केलनि अछि, आ ने कोनो समान फेंकबाक आदेश देलनि। अपन राजनीतिक रोटी सेंकबाक लेल भाजपाक नेता ग़लत बयानबाजी केलक अछि। राजद नेता राजेश यादव सेहो अहि बातकेँ पुष्टि केलनि अछि। ओ कहलनि जे, अहि तरह सं एकटा समाजसेवी विकासशील महिला विधायकक छविकें ख़राब करब निंदनीय अछि।