तेज रफ़्तार कार चाह दोकान मे घुसल, एकटा महिलाक मौत

    0
    297
    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: सोमदिन भोर मे समस्तीपुर-लहेरियासराय पथ पर बहादुरपुर थानाक्षेत्रक एकमी के समीप एकटा तेज रफ़्तार कर चाह दोकान मे घुसि गेल, जाहि मे एकटा महिला के मौत भय गेल। सूत्रक अनुसार लहेरियासराय सं समस्तीपुर दिस जा रहल बिना नंबर के कार कुंवर नगर के समीप रोड कात मे बनल चाहक दोकान मे घुसि गेल। जाहि मे एकमी निवासी मो0 हीरा देवि के वृद्ध माँ’क मौत भय गेल।
    कार चालक लहेरियासराय बाकरगंज स्थित एकटा पुरान प्रतिष्ठित कपड़ा दोकानक मालिक के बेटा बताओल जा रहल अछि। घटना मे कार चालक के दहिना हाथ टूटबाक खबरि अछि। मौक़ा पर आक्रोशित लोक सड़क जाम करबाक प्रयास केलनि मुदा बहादुरपुर थानाक पुलिस तत्परता सं लोक के बुझा कय जाम नहि करबाक लेल मना लेलनि। पुलिस घटना स्थल पर पहुँचि कय लहास के पोस्टमार्टम के लेल पठा देलक अछि।