जेईई मेन मे सुपर-30 डंका, मिथिला बेगूसराय कें सुशांत कें भेटलनि 227 अंक

    0
    350

    दिल्ली,मिथिला मिरर-निशांत कुमार झाः जेईई मेन 2016 कें परीक्षा परिणम 227 अप्रैलक सांझमे सीबीएसई द्वारा घोषित कय देल गेल। एक बेर फेर जेईई मेनक परीक्षामे मिथिला-बिहारक धमाकेदार प्रदर्शन रहल। सब सं खास बात इ रहल जे अहि बेर आनंद कुमार द्वारा संचालित सुपर-30 कें 30 मे सं 30 गोट छात्र उतीर्ण भेलाह। मिथिलाक बेगूसराय जिलाक सुशांत कें 227 अंक प्राप्त भेलनि। मूल रूप सं गरीब किसानक परिवारमे जनमल सुशांत कें अहि सफलता सं सुपर-30 सहित हुनकर पूरा परिवार गदगद अछि।
    तहिना मिथिलाक मुजफ्फरपुरकें अतुल कुमार कें 221 अंकर प्राप्त भेलनि। अपने कें बता दी जे अतुल केर पिताजी रामविलास महतो कपड़ा दोकानमे काज करैत छथि आ एहनमे जौं बेटा एहन तरहक कामयाबी हासिल करय त ओहि परिवार आ समाज मे कोन तरहक खुशीक केर महौल हैत। आईआईटी आ यूपीएससी मे सब सं बेसी परिणाम दैय वला जिला गयाकें रतन कुमार कें 199 अंक प्राप्त भेलनि। रतन कें पित सेहो पेशा सं किसान छथि आ मजदूरी कय अपन बेटाकें किछु बनेवाक स्वप्न देखने छलाह। तहिना गया कें अमन कें 198 अंक प्राप्त भेल आ हिनको पिता जयप्रकाश सिंह मूल रूप सं छोट-मोट किसान छथि आ ओहि सं अपन परिवारक भरण-पोषण करैत छथि।
    एक बेर फेर सं आनंद कुमार आ सुपर-30 विश्व जनमानस पर अपन कृत केर झंझा गाड़ैत अहि बात कें साबित कय देलक जे अगर कोनो व्यक्ति आ संस्था जौं दृढ़ निश्चिय लय कोनो कार्य कें करैत अछि त ओहिमे सफलता कें आश बहुत बेसी भय जाइत छैक। जेईई मेन केर परिणाम मे उतीर्ण भेल समस्त छात्र लोकनि कें मिथिला मिरर बहुत-बहुत बधाई दैत अछि संगहि जे कोनो छात्र अहिमे सफल नहि भेलाह हुनको उज्जवल भविष्यक कामनाक संग आओर नीक सं तैयारी करवाक बात कहि रहल अछि। सुपर-30 कें संचालक आनंद कुमार कें विशेष धन्यवाद जे ओ अपन कार्य कुशलता सं देश-दुनियाकें नव-नव प्रतिभा समर्पित कय रहला अछि।