नीतीश कुमार बिहार के विशेष राज्यक मांग फेर दोहरौलनि

    0
    319

    पटना, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बिहार के विशेष राज्यक दर्जा देबाक मांग के एक बेर फेर दोहरौलनि आ कहलनि जे, अहि दर्जा के बाद बिहार राष्ट्रक संवृद्धि मे एकटा पैघ योगदान देबय बला प्रदेश बनि जायत।

    नीतीश कुमार 12 वीं पंचवर्षीय योजना स आगुक अवधिक लेल विजन एवं रणनीति बनेबा पर नीति आयोगक उपाध्यक्ष अरविंद पनगढ़िया के लिखल पत्र मे अहि मुद्दा के उठेलनि।

    नीतीश पत्र मे लिखलनि जे, विकसित भारत आ विकसित बिहारक सपना के 2030 तक साकार करबाक लेल बिहार जेहेन कम विकसित राज्य के संसाधनक अभाव आ विशेष राज्यक दर्जा देबाक मांग पर विचार करबाक जरूरत अछि।