मधुबनीमे डॉ० सुभद्र झाक सत्रहम पुण्यतिथि पर संगोष्ठी एवं कवी सम्मलेनक आयोजन

    0
    342

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मैथिली साहित्य महासभा (ट्रस्ट) आ विद्यापति डॉ० सुभद्र झा प्रेरणा मंचकें तत्वावधानमे बहुभाषाविद मिथिलाक युगपुरुष डॉ० सुभद्र झाक सत्रहम पुण्यतिथि 13 मई पर पुष्पांजलि, संगोष्ठी एवं कवी सम्मलेनक आयोजन कएल जा रहल अछि। पुण्यतिथि 13 मई कए माध्यमिक शिक्षक संघ मधुबनीमे दिनक 12 बजे सं आयोजित कएल जा रहल अछि। संगोष्ठीमे डॉ० झाक कृतित्व आ व्यक्तित्व पक्ष पर मिथिलाक दिग्गज विद्वान द्वारा विचार राखल जाएत। हिनकर कृतित्व पक्ष पर डॉ० रामदेव झा, पंडित चंद्र नाथ मिश्र “अमर”, डॉ शशिनाथ झा, श्याम दरिहरे, डॉ कमला कान्त भंडारी, डॉ शंकरदेव झा, अशोक कुमार ठाकुर अपन वक्तव्य देताह।

    व्यक्तित्व पक्ष पर डॉ भीम नाथ झा, डॉ उमाकांत झा, डॉ धीरेन्द्र नाथ मिश्र, डॉ योगानन्द झा, डॉ० श्रीशंकर झा, डॉ खुशीलाल झा, उदय शंकर झा “विनोद” डॉ महेंद्र मलंगिया आ डॉ विघ्नेश चंद्र झा सहित अन्य गणमान्य विद्वान् अपन-अपन विचार सेहो रखताह। कार्यक्रममे मैथिली अकादमी पटनाक निदेशक कमलेश झा, कांग्रेस प्रवक्ता प्रेम चंद्र झा, बीजेपी बिहार प्रवक्ता विनोद नायरायण झा, सांसद हुकुव नारायण यादव, समीर महासेठ, रामप्रीत पासवान, सुमन महासेठ, घनश्याम ठाकुर सहित कई अन्य राजनितिज्ञ आ समाजसेवी सेहो भाग लेताह।

    कार्यक्रमक अध्यक्षता कमला कान्त झा करताह। कार्यक्रमक परिकल्पना मैसामक संस्थापक सदस्य संजय झा “नागदह” द्वारा कएल गेल अछि। अहि कार्यक्रमक संयोजक पंडित कमलेश प्रेमेंद्र आ मैसामक अध्यक्ष उमाकांत झा बक्शी एवं  संस्थाक संस्थापक सदस्य विजय झा, ब्रजेश झा, संजीव झा आ राम कुमार झा सब बुद्धिजीवी सं कार्यक्रममे पधारि कार्यक्रमकेँ सफल बनाबथि। संजय झा “नागदह” कहलनि जे, डॉ सुभद्र झा एकटा ऐहेन मिथिलाक विद्वान छथि जे विद्यापति आ मैथिली भाषाकें विश्व पटल पर पहुँचेबाक काज केलन्हि अछि।