नाबालिगकें घरमे असगर देखि पड़ोसी केलक दुष्कर्म

    0
    332

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहारक दरभंगामे एकटा नाबालिग बच्ची सं रेप करबाक मामला प्रकाशमे आएल अछि। मामला घनश्यामपुर थाना क्षेत्रक मंसारा गामक अछि जतय शादीशुदा युवक बमबम मुखिया घरमे अकेला पाबि कए बच्चीक संग दुष्कर्म केलक।

    आरोपी इंसानियतकें तार-तार करैत लड़कीक ता धरि रेप केलक जा धरि ओ बेहोश नहि भए गेल। घरवलाकें अहि बातक जानकारी तहन भेटल जहन बच्चीक चाची घरक दरवाजा खोललक। पीड़िताक चाची हल्ला कए आस-पड़ोसक लोककेँ अहि बातक जानकारी देलक आ बच्चीकें इलाजक लेल डीएमसीएचमे भर्ती कराओल गेल।

    पुलिसक अनुसार बच्चीक हालत चिंताजनक अछि। पीड़िताक पिता पंजाबमे मजदूरीक काज करैत अछि। पीड़िताक मां घटनाक राति इलाज करेबाक लेल झंझारपुर गेल छल आ देरी भेलाक कारण रातिमे अपन नैहर चलि गेल।

    जाहि समय ई घटना घटल ओहि समय घरमे बच्ची आ बच्चीक छह सालक छोट भाई छल। दरभंगा पुलिस पीड़िताक चाचीके बयान पर आरोपीक खिलाफ मामला दर्ज केलक अछि।