के. एम. हॉस्पिटल जा ललन जी सं भेंट कैलथि पार्षद पुतुल रविंद्र झा

    0
    330

    दिल्ली-मिथिला मिररः मैथिल अभियानी ललन चौधरी उर्फ ललन दरभंगावाला जे कि पैछला किछु दिन सं किडनी रोग सं लड़ि रहला अछि, मंगलदिन वसय विरार सं पार्षद पुतुल झा आ हुनक पति रविन्द्र झा दुनू गोटे के. एम. हॉस्पिटल जा ललन सं हालचाल जनलाह। संगहि हुनकर डायलिसिस कोन तरहें भय रहल छन्हि अहू विषय पर बातचीत कैलथि। अपने कें बता दी जे ललन दरभंगावाला कें एखन डायलिसिस चलि रहल छन्हि आ बुधदिन अर्थात 25 मई क हुनका सरकारी अस्पताल सं छुट्टी द देल जेतनि जाहिकें बाद हुनकर इलाज प्राइवेट सं कराओल जाएत।
    सोमदिन मिथिला मिरर संपादक ललित नारायण झा आ रविन्द्र झा केर बीच भेल विस्तारित बातचीत मे रविन्द्र झा कहलनि जे हमरा सबहक रहैत ललन कें इलाज मे कोनो दिक्कत नहि हेतनि। ललन कें विषयमे जानकारी दैत प्रकाश कमति कहला जे प्राइवेट अस्पतालमे भर्ती आ ओहिकें बादक खर्च एखन पार्षद पुतुल रविन्द्र झा उठेवाक लेल तैयार छथि आ आगू जौं किडनी बदलवाक परिस्थिति आओत तखन मैथिल समाज सं विनम्र आग्रह कैल जेतनि आ अकॉउंट नम्बर सेहो सार्वजनिक कैल जाएत।
    जाहि तरहें अहि घटनाकें गंभीरता सं लैत मुबईमे रहनिहार युवा मैथिल अभियानी लोकनि पहल केलाह ओकर जतेक प्रशंसा कैल जाए ओ कम अछि। इ एकजूटता नहि सिर्फ मुंबई अपितु पूरा विश्वमे जतय मैथिलजन छथि हुनका मे आ हुनका लेल हेवाक चाही। मुंबईमे रहनिहार मैथिल युवा लोकनिक इ प्रयास निश्चित रूपहिं देश-विदेशमे रहनिहार आम मैथिलजन कें कर्तव्यक बोध करओत। संगहि पुतुल रविन्द्र झा दिल्ली पटनामे बैसल मैथिल, सांसद, विधायक लोकनिक लेल सेहो एकटा मिशाल बनलाह जे जीत गेलाक बादो अपन मैथिलत्वकें बचा क रखने छथि जे दिल्ली-पटनामे प्रायः मृत प्राय भेल जा रहल अछि।