टीईटी के समाप्त कय ओपेन कंपीटिशन सं हेबाक चाही शिक्षक बहाली: लालू यादव

    0
    339

    पटना, मिथिला मिरर: राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद कहलनि जे, बिहार मे टीईटी के समाप्त कय शिक्षकक बहाली ओपेन कंपीटिशन स हेबाक चाही। राज्य मे प्राइमरी स लय क यूनिवर्सिटी टीचर तक के नियुक्ति ओपेन कंपीटिशन स करेबाक चाही।

    ओ कहलनि जे, लेक्चरर के बहाली सेहो स्थानीयता के ध्यान मे राखि कय कॉलेज सेवा आयोग के बहाल करबाक चाही। वीसी बहाली मे आरक्षणक प्रावधान शुरू हेबाक चाही। जाहि लेल हम सरकार सं बात केलहु।

    लालू प्रसाद रविदिन पटना मे अप्पन आवास पर प्रेस स बात कय रहल छलाह। ओ कहलनि जे, टीईटी स बहाली पूरा नहि भय सकैत अछि। ई अंतहीन सिलसिला अछि। ट्रेंड हो या अनट्रेंड सबहक बहाली एक प्रतियोगिता के आधार पर हेबाक चाही। बाद मे जे अनट्रेंड बहाल भेल ओकरा ट्रेनिंग देल जाए। लालू यादव कहलनि जे, हम शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी स बात केलहु।