बिहार मे बाढ़ि सं मरय बलाक संख्या 150 पार

    0
    259

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे रविदिन बाढ़ि सं तीन लोकक मौतक संग बाढ़ि सं मरय बलाक संख्या बढ़ि कय 156 भय जेल। संगहि एखनो धरि राज्य मे बाढ़िक स्थिति मे सुधार नहि अछि। बाढ़ि राहत शिविर मे लोकक समस्याक समाधान करबाक प्रयास कायल जा रहल अछि।

    रविदिन बिहारक समस्तीपुर मे तीन गोटेक मरबाक खबरि अछि, जहन कि एखनहु चारि जिला मे गंगा खतराक निशान स उपर बहि रहल अछि। जाहि सं शिविर मे रही रहल लोकक घर वापसीक समस्या एखनहु बनल अछि।