मैथिलीमे शपथ लेलनि सोना रणजीत चौधरी आ पूनम पराशर

    0
    319
    दिल्ली, मिथिला मिरर: हालहिमे भेल दिल्ली नगर निगमके चुनावमे विभिन्न पार्टी सं दर्जनों मैथिल प्रत्यासी जीतक परचम लहरौने छलाह। चुनावक बाद बृहस्पति दिन सिविक सेंटरमे आयोजित शपथ ग्रहण समारोहमे वार्ड नंबर 40 एन सं भाजपाक विजय प्रत्यासी सोना रणजीत चौधरी आ वार्ड नंबर 44 एन सं भाजपाक पूनम पराशर झा मैथिलीमे शपथ लए मिथिलाक मान बढ़ौलनि। जाहि सं समस्त कार्यकर्ता लोकनि उत्साहित छल। सूत्रक अनुसार आम आदमीकें अजित झा सेहो मैथिलीमे शपथ लेलनि अछि।
     
    अहि सं पहिने पूनम परासरकें पति किराड़ी विधानसभा सं दू बेर जीत कए दिल्ली विधानसभामे मैथिलीमे शपथ लए चुकल छथि। सम्भवत: सिविक सेंटरमे पहिल बेर कोनो पार्षद मैथिलीमे शपथ लेलक अछि।