बेगूसराय लोकसभा सीटसँ चुनाव लड़ी सकैत छथि कन्हैया कुमार

0
1146

बेगूसराय, मिथिला मिरर : जेएनयू छात्र संघक पूर्व अध्यक्ष कन्हैया कुमार बतौर भाकपा उम्मीदवार बेगूसराय लोकसभा सीटसँ चुनाव लड़ताह इ लगभग तय भ’ गेल अछि। पार्टीक जिला इकाई हुनक उम्मीदवारीक संस्तुति भेज देलक अछि। पार्टीक राज्य कार्यकारिणी हुनक नामक अनुमोदन क’ शीर्ष नेतृत्वकेँ मंजूरी लेल भेज देलनि। पार्टीक आधिकारिक सूत्रकेँ मुताबिक कन्हैया कुमारकेँ बेगूसराय सीटसँ चुनाव लड़नाई लगभग तय अछि। उम्मीद कएल जा रहल अछि जे मार्चक पहिल सप्ताहमे होमय वला बैठकमे कन्हैयाक नामकेँ अनुमोदन क’ देल जायत। सूत्रक एतय तक दावा छनि जे भाकपाकेँ महागठबंधनसँ सीटक तालमेल लेल बातचीत जारी अछि। मुदा एतेक त’ तय मानल जा रहल अछि जे सीट शेयरिंगक मसला सुलझई वा नै, बेगूसरायसँ कन्हैया हर हालमे चुनाव लड़ताह। बेगूसरायकेँ अलावे पार्टी तीनटा अन्य सीट मोतिहारी, खगड़िया आ मधुबनी पर दावा क’ रहल अछि। भाकपा नेता डी राजा एहि सभ सीट पर अपन दावा लालू प्रसादसँ भेट क’ जता चुकल छथि। हालाँकि एहि तीनू सीट पर फिलहाल महागठबंधनमे अनिर्णयकेँ स्थिति बनल अछि।
बतादी जे कन्हैया कुमार जवाहरलाल नेहरू विश्वविद्यालयमे देशविरोधी नारेबाजीक मामला सामने अयला पर चर्चामे आयल छलाह। हुनका पर देशद्रोहके आरोपमे मुकदमा दर्ज कएल गेल छल। जेएनयू परिसरमे 9 फरवरी 2016 केँ आयोजित एकटा कार्यक्रमक दौरान कथित तौर पर भारत विरोधी नारा लगाओल गेल छल। ई कार्यक्रम संसद हमलाक मास्टरमाइंड अफजल गुरुकेँ फाँसी देबाक बरसी पर आयोजित कएल गेल छल। एहि मामलामे जेएनयूकेँ पूर्व छात्र उमर खालिद आ अनिर्बान भट्टाचार्यक अलावे कश्मीरी छात्र आकिब हुसैन, मुजीब हुसैन, मुनीब हुसैन, उमर गुल, रईया रसूल, बशीर भट, बशरतकेँ खिलाफ सेहो आरोप पत्र दाखिल कएल गेल।  एतबे नहि भारतीय कम्युनिस्ट पार्टी (सीपीआई) क नेता डी राजाक पुत्री अपराजिता, जेएनयूएसयूक तत्कालीन उपाध्यक्ष शहला राशिद, राम नागा, आशुतोष कुमार आ बनोज्योत्सना लाहिरी सहित 36 अन्य लोकक नाम सेहो शामिल छल।

भाजपा सांसद महेश गिरी आ एबीवीपीकेँ शिकायत पर वसंत कुंज (उत्तर) पुलिस थानामे 11 फरवरी 2016 केँ अज्ञात लोकनिक खिलाफ भारतीय दंड संहिताक धारा 124ए तथा 120बी केँ तहत मामला दर्ज कएल गेल छल। एबीवीपी कथित आयोजनकेँ राष्ट्र विरोधी बतबैत शिकायत केने छल जकर बाद विश्वविद्यालय प्रशासन अनुमति रद्द क’ देने छल, तकर बावजूद एहन आयोजन भेल छल।