होटल मैनेजमेंट मे अव्वल रहलाह दरभंगा के केतन झा

    0
    348

    नोएडा, मिथिला मिरर: नोएडा के सेक्टर 49 स्थित हिंडन विहार निवासी केतन झा बरेली के रुहेलखंड विश्वविद्यालय मे होटल मैनेजमेंट मे टॉप स्थान लाबि कय शहरक नाम संग अप्पन पैतृक जिला दरभंगाक नाम सेहो रौशन केलनि। केतन के आगामी 19 नवंबर कय राज्यपाल के हाथ सं गोल्ड मेडल देल जायत।

    केतन एमजेपी रुहेलखंड विश्वविद्यालय के बैचलर इन होटल मैनेजमेंट एंड टेक्नोलॉजी कोर्स के आठम सेमेस्टर मे टॉप केलनि अछि। केतन 7600 मे सं 5534 अंक हासिल केलनि अछि। केतन के पिता सतीश झा एकटा निजि रियल स्टेट कंपनी मे मैनेजर एडमिन के पद पर कार्यरत छथि।

    सतीश के अनुसार ओ मूल रूप सं बिहार के दरभंगा स्थित बारीउल गामक निवासी छथि। केतन शुरुए सं पढ़बा मे मेघावी छात्र छथि। हुनकर परिवार मे माता-पिता के अलावा एकटा पैघ भाई आ एकटा बहिन छन्हि।