मनोज हत्याकाण्डमे जांच पर सवाल उठेलक मिथिला विकास संघ

    0
    281

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगामे मनोज चौधरीकें पैट्रोल छिटी कय जिबैत जरेबाक मामलामे विभिन्न संगठन आब जांच पर सवाल उठा रहल अछि। जतय एक दिस किछु संगठन सड़क जाम केलक ओतहि मिथिला विकास संघ शनिदिन नाका नम्बर तीन सँ टावर चौक धरि कैंडल मार्च निकालि विरोध प्रदर्शन केलक आ फेर टावर चौक पर एकटा सभामे तब्दील भए गेल।

    सभाकें संबोधित करैत भाजपा युवा मोर्चाक पूर्व जिलाध्यक्ष आ नब प्रदेश उपाध्यक्ष गोपालजी ठाकुरक करीबी मानल जाए वला डा0 शिशिर झा अहि हत्याकाण्डक जांच पर गंभीर सवाल उठबैत कहलनि जे, प्रशासनक शिथिलता सँ सीसीटीवी फुटेज गायब अछि। अहि हत्यकाण्डमे सफ़ेदपोशकें बचेबाक साज़िश रचल जा रहल अछि।

    ओ कहलनि जे, अहि पूरा मामलाक उच्चस्तरीय न्यायिक अथवा सीबीआई जांच हेबाक चाही तखनहि प्रशासनिक एवं राजनितिक मिलीभगत सामने आओत। ओतहि चर्चित युवा नेता बालेंदु झा प्रशासन एवं सरकारक अधिकारीकें लताड़ैत कहलनि जे,  झूठ सहानभूति देखबैत बहुत प्रतिनिधि घटनाक बाद परिजन सँ भेंट केलनि, मुदा घटनाक 15 दिन बादो परिजनकें मुआवजा एवं परिवारक एकटा सदस्यकें नौकरी नहि भेटल अछि।