चौपाल समुदाय केलक पूर्व विधान पार्षद संजय झा के सम्मानित

    0
    272

    दरभंगा, मिथिला मिरर: कादिराबाद मे रामचंद्र चौपालक आवास पर शुक्रदिन चौपाल कल्याण मोर्चा दिस सं कैलाश चौपाल आ संतोष चौपाल के द्वारा पूर्व विधान पार्षद एवं मिथिलांचल के चर्चित नेता संजय झा के पाग आ चादरि सं सम्मानित कायल गेल। संगहि संजय झा के धन्यवाद ज्ञापन कायल गेल जे आय जे हुनका आरक्षण भेटल अछि तकर पूरा श्रेय संजय झा के छन्हि।

    उपस्थित लोक के संबोधित करैत पूर्व विधान पार्षद कहलनि जे, दरभंगा हमर कर्मभूमि अछि आ दरभंगा के विकासक लेल हम हर स्तर पर प्रयासरत रहब। चौपाल समाज के शिक्षा पर ध्यान देबाक चाही, आबय वला समय मे अहि सं फायदा भेटत।

    सम्मान समारोह मे शिवलाल चौपाल, लखन चौपाल, सुरेंद्र प्रसाद चौपाल बजरंग बली चौपाल आदि लोक उपस्थित छलाह। संजय झा के संग संजय झा फ्रेंड्स क्लब के संचालक समीर झा सेहो मौजूद छलाह।