मुंगेर मे दू गोट अवैध मिनी गनक फैक्ट्री’क खुलासा

    0
    305

    मुंगेर, मिथिला मिरर: बिहारक मुंगेर जिला के मुफस्सिल थाना अंतर्गत बरदह गाम मे छापामारी कय दू गोट अवैध मिनीगन फैक्ट्री के मंगलदिन उद्भेदन कायल गेल।

    पुलिस अधीक्षक आशीष भारती कहलनि जे, मुफस्सिल बरदह गाम निवासी मोहम्मद शाहबाज आ मोहम्मद जियाउद्दीन के घर मे अवैध हथियार बनाओल जेबाक गुप्त सूचना पर कायल गेल अहि कार्रवाई के दौरान अवैध मिनीगन फैक्ट्री स दू टा पिस्तौल, तीन बैरल तथा हथियार बनाबय के अन्य उपकरण आ मशीन जब्त कायल गेल।

    ओ कहलनि जे, छापेमारीक भनक भेटतहि अपराधी छापेमारी स्थल स फरार भय गेल। फैक्ट्री संचालक आ ओतय काज करय वला कारीगरक गिरफ्तारी के लेल छापेमारी कायल जा रहल अछि।