खजौलीमे रेलवे ट्रैक पर पीआरएसकें संदिग्ध लाश भेटला सं हड़कंप

    0
    329

    मधुबनी,मिथिला मिरर ब्यूरो चीफ-पारस ठाकुरः खजौली रेलवे स्टेशन सँ दक्षिण आउटर सिंग्नल लग रेलवे ट्रैक पर शुक्रदिन भोर में एकटा युवक के लाश संदेहास्पद स्थिति में भेटल। मृतक के पहचान खजौली थाना क्षेत्रक इनरवा गांव निवासी स्व. योगेन्द्र सिंह उर्फ़ जोगी सिंह के 24 वर्षीय अविवाहित बेटा रामकुमार सिंह के रूप में कायल गेल। घटना के सूचना भेटला पर  पहुँचल जयनगर रेल पुलिस लाश के अप्पन कब्ज़ा में का पोस्टमार्टम के लेल सदर अस्पताल मधुबनी भेज देलक।

    मृतक जयनगर प्रखंडके बैरा पंचायत में पंचायत रोजगार सेवक के पद पर सेहो कार्यरत छेलाह। ओना पहिल नजैर में  शव के देखला सँ ई ट्रेन हदासा या ट्रेन के चपेट में एला सँ भेल घटना नहि बुझा रहल अई, एहेन कहव ओहि ठामक लोक के छैन। घटना के ल आसपास में तरह-तरह के चर्चा भ रहल अई।  ओना ई घटना हत्या अई या फेर आत्महत्या ई संशय के विषय बनल अई। एहि मामला के खुलासा पोस्टमार्टम रिपोर्ट एला के बादे भ सकैत अइछ।