विद्युत समस्या के लय बाबूबरही-खुटौना मुख्य पथ जाम

    0
    277

    मधुबनी, मिथिला मिरर: सात सूत्री मांगक लेल जटही गामक लोक बृहस्पति दिन बाबूबरही-खुटौना मुख्य पथ के जटही गाम मे जाम कय देलनि। जाहि के फलस्वरूप अहि मार्ग पर आबय-जाय वला लोक के काफी कठिनाईक सामना करय पड़लनि।

    ग्रामीणक कहब अछि जे, रामचन्द्र यादव विद्युत विभागक बिचौलिया अछि ताहि कारने एकरा विरुद्ध कार्रवाई कायल जाय। अहि के अलाबा ग्रामीण वार्ड नम्वर एक के ट्रांसफार्मर अहि वार्ड मे बजरंगबली मंदिर के निकट लगेबाक मांग, वार्ड एक के लेल बिजलीक खंभा लगेबा मे घूस नहि देला पर खंभा नहि लगेबाक आरोप, कोसी कैनाल के कात बसल महादलित बस्ती मे विद्युतीकरण, विभागीय निर्देश के तहत सड़क कात तीन फेजक बजाय 4 फेज तार बिछेबाक मांग है अछि।

    लोकक कहब अछि जे, वार्ड दू के ट्रांसफार्मर दिसम्बर 12 मे जरि गेल छल। नब ट्रांसफार्मर मार्च 15 मे लगाओल गेल। अहि अवधि मे एतय के उपभोक्ता विद्युत लाभ स वंचित रहल। किन्तु बिल ओहि अवधि के सेहो पठाओल गेल अछि, एकरा खारिज कायल जाय।