दरभंगा हवाईअड्डासँ उड़ान भेल सपना, नै भेटी रहल अछि रनवे बनेनिहार

0
536

दरभंगा/ नई दिल्ली : दरभंगा एयरपोर्टसँ उड़ान भरब अखनि सपने बुझना जाइत अछि। प्राप्त जानकारीकेँ मुताबिक रनवे निर्माण एक्सपर्टक अभावमे  दरभंगा एयरपोर्टक काज तत्काल बंद क’ देल गेल अछि। समाचार एजेंसी ANI सँ बात करैत नागरिक उड्डयन मंत्रालयक एकटा वरिष्ठ अधिकारी कहलथि जे ‘सब उड़े सब चढ़े’ भारत सरकारक एकटा महत्वाकांक्षी योजना अछि। मुदा दरभंगा एयरपोर्टकेँ अखनि ऑपरेशनल नै बनाओल जा सकैत अछि, किएक त’ रनवे निर्माण एक्सपर्ट नै उपलब्ध छथि आ एक्सपर्टक तलाश लगातार जारी अछि। आगाँ कहैत छथि जे एकटा पैघ समयसँ मिथिलामे एयरपोर्टक माँग अछि आ हमसभ चाहैत छी जे प्रोजेक्ट एहि सालमे पूरा भ’ जाय, मुदा अखन असंभव देखना जाइत अछि। दरभंगा एयरपोर्ट भारतीय वायुसेनाक अधीन अछि संगहि ई योजना क्षेत्रीय संपर्क स्कीमक अंतर्गत अबैत अछि। सरकार चाहैत अछि जे 2019 लोकसभा चुनावसँ पूर्व एहि प्रोजेक्टकेँ पूरा क’ लेल जाय। बतादी जे नागरिक उड्डयन राज्यमंत्री जयंत सिन्हा 10 जुलाईकेँ ट्वीट क’ जनवरी 2019सँ दरभंगा एयरपोर्ट चालू हेबाक संभावना जतौने छलाह मुदा मिथिलावासीक सपना अखनि सपने रहत।