महागठबंधन केँ लागि सकैत अछि झटका, कांग्रेस अकेले चुनाव लड़बाक द’ रहल अछि संकेत

0
929

पटना, मिथिला मिरर : चुनाव आयोग बिहार मे चुनावी बिगुल बजा चुकल अछि। एहन मे चुनावी समीकरण बनेबा मे राजनीतिक दल सक्रिय भ’ चुकल अछि। बिहारक दुनू गठबंधन मे सीट बँटवारा केँ ल’ गहमागहमी मचल अछि। एही बीच महागठबंधन सँ एकटा पैघ खबरि आबि रहल अछि। खबरि अछि जे कांग्रेस महागठबंधन सँ अलग भ’ सकैत अछि। महागठबंधन मे सीट के ल’ पेंच फसैत देखना जा रहल अछि। बतादी जे पैछला दू दिन सँ रालोसपा सेहो महागठबंधन सँ अलग हेबाक संकेत द’ रहल अछि। या ई कहि सकैत छी जे रालोसपा मात्र औपचारिक ऐलान तक नहि कएलक अछि, बांकी ओ महागठबंधन सँ रिश्ता खत्म क’ चुकल अछि। आब कांग्रेस जाहि तरहक रुख अख्तियार क’ रहल अछि ओहि सँ लागि रहल अछि जे जल्दिए कांग्रेस महागठबंधनक बंधन सँ मुक्त होयत। जँ एहन होइत अछि त’ महागठबंधनक कुनबा बिखरब निश्चित अछि।

आब कांग्रेस सेहो साफ क’ देलक अछि जे जँ सम्मान जनक सीट नहि भेटत त’ पार्टी चुनाव मे अकेले लड़त। कांग्रेस मन बना चुकल अछि जे ओ 243 सीट पर अकेले चुनाव लड़त। बिहार कांग्रेस स्क्रीनिंग कमिटीक अध्यक्ष अविनाश पांडे कहलनि अछि जे बिहार मे राजद पैघ पार्टी अछि आ तेजस्वी केँ चेहरा पर चुनाव लड़ल जायत ई महागठबंधनक सभ घटक दल मिल क’ तय करत। कांग्रेस आलाकमान धरि बात पहुँचा देल गेल अछि। सीट बँटवारा पर कहलनि जे पार्टी अपन निर्णय राजद केँ सुना देने अछि एहन मे ज’ किछु उलट होयत त’ पार्टी कोनो तरहक फैसला लेबा लेल स्वतंत्र अछि।

अबिनाश पांडे कहलनि जे पार्टी पूरा ताकत सँ चुनाव लड़बाक तैयारी मे अछि। कोशिश रहत जे मौजूदा सरकार केँ उखारि फेकल जाय। पार्टी 243 सीटक हिसाब सँ तैयारी क’ चुकल अछि। एक दू दिन मे सीट पर फैसला भ’ जाइत अछि त’ ठीक अन्यथा दोसर विकल्प तैयार अछि। हालाँकि खबरि भेट रहल अछि जे राजद आई देर साँझ कांग्रेस सँ बात क’ सकैत अछि। देखबाक बात अछि जे कांग्रेसक अगिला कदम की होइत अछि।