विधायक आवासकें घेराव केलक प्रारंभिक शिक्षक संघ

    0
    294

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीक हरलाखी विधानसभाक विधायक सह रालोसपा मुनेता सुधांशु शेखरकें हरलाखी स्थित हुनकर आवासक घेराव कए समान काजक बदले समान वेतन लागू करबाक अप्पन मांगकें लए बिहार राज्य प्रारंभिक शिक्षक संघ मधवापुर इकाईके शिक्षक विरोध प्रदर्शन केलनि। अहि दौरान संघक प्रखंड अध्यक्ष रुकमीनी रमन मिश्र कहलनि जे, माननीय न्यायालयके आदेशानुसार सरकारकें समान काजक बदले समान वेतन देबाक चाही। एहिलेल हम एकटा प्रतिनिधि मंडलके संग विधायककें एकटा ज्ञापन देलहुँ, शिक्षकक आवाजकें सदनमे उठाओल जा सकए।

    विधायक शेखर कहलनि जे, राज्य सरकार लग शराबबंदीक अलावा कोनो काज नहि अछि। सरकारकें निश्चित तौर पर समान काजक बदले समान वेतनमान लागू करबाक चाही। एहिलेल हम निश्चित रूप सं विधानसभामे अहि शिक्षकक मांगकें रखबाक काज करब। प्रदर्शनके उपरांत शिक्षक संघ विधायककें ज्ञापन देलनि।

    शिक्षक कहलनि जे, मजदूर दिवस पर प्रखंड मुख्यालयमे शिक्षक झाड़ू लगाओत तथा 3 मई कए बीआरसीमे तालाबंदी कए आंदोलनक लेल जाएत। मौका पर संघक उपाध्यक्ष हीरा प्रसाद, सचिव मोजिबुर्र रहमान, हिर्देश कुमार, नथुनी पासवान, विनोद कुमार, अब्दुस्समान, रविन्द्रनाथ मंडल, विजय कुमार एलन्टी, ब्रह्मदेव महतो, आनंद कुमार, अमित कुमार मिश्र, सुधांशु रंजन, जगन्नाथ मंडल व रोबिन पंडित समेत अन्य शिक्षक मौजूद छल।