कांवरिया स भरल वैन पलटल, 18 घायल

    0
    272
    जानकारीक अनुसार कांवरिया सुल्तानगंज स जल भरिकय बाबा धाम जा रहल छलाह, तहने आगू स अबैत एकटा तेज रफ्तार ट्रक पीकअप के टक्कर मारि देलक, जाहि स वैन पलटि गेल।
    घायल कांवरिया के तुरंत अस्पताल मे भर्ती करौल गेल, जतय तीन गोट कांवरियाक हालत गंभीर बनल अछि। सूत्रक अनुसार घटनाक जानकारी के बाद मौका पर पहुँचल पुलिस घटनाक मामला दर्ज कय ट्रक चालक के तलाश शुरू कय देलक अछि।