मधुबनी के रहिका मे ट्रक-बोलेरो के टक्कर मे छह घायल

    0
    274

    मधुबनी, मिथिला मिरर: रहिका-बेनीपट्टी सड़क मार्ग पर पौना मोड़क समीप ट्रक-बोलेरो के टक्कर मे बोलेरो मे सवार करीब आधा दर्जन लोक घायल भय गेल। ट्रकक चालक घटना के बाद ट्रक छोड़िकय फरार भय गेल। एम्हर घायलक स्थानीय लोकक मददि सं रहिका पीएचसी मे भर्ती कराओल गेल। सब घायल सीतामढ़ी के कनैल गामक रहय वला छलाह।

    घायल मे मो. दानिश, मो. नौशाद, मो. अलाउद्दीन, मो. मौतीम तथा अन्य शामिल अछि। घटना के बाद आक्रोशित लोकक किछु कालक लेल सडक जाम कय देलक। परंतु बाद मे थाना पुलिस पहुंचलाक बाद जाम समाप्त कायल गेल। ट्रक बेनीपट्टी दिस सं आबि रहल छल, जहन कि बोलोरो रहिका सीतामढ़ी के कनैल गाम दिस जा रहल छल।