एक क्विंटल गांजा संग महिला समेत तीन गोट तस्कर गिरफ्तार

    0
    290

    नवादा, मिथिला मिरर: बिहार के नवादा जिला के रजौली चेक पोस्ट सं पुलिस शुक्रदिन राति तीन टा तस्कर के गिरफ्तार कय एक क्विंटल गांजा बरामद केलक। गिरफ्तार तस्कर मे एकटा महिला तस्कर सेहो शामिल अछि।

    पुलिस सूत्रक अनुसार रजौली चेक पोस्ट पर वाहन जांच के दौरान एकटा कार के रोकि कय तलाशी लेल गेल। अहि दौरान कार मे नुका कय लय जा रहल एक क्विंटल गांजा बरामद कायल गेल। सूत्रक अनुसार गिरफ्तारी के बाद पुलिस तीनू तस्कर के खिलाफ मामला दर्ज कय कार्यवाई कय रहल अछि।