मुजफ्फरपुर मे खुजत होमियोपैथी रिसर्च सेंटर

    0
    249

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: केन्द्रीय होमियोपैथी अनुसंधान परिषद मुजफ्फरपुर मे होमियोपैथी दबाई पर रिसर्च करबाक लेल अनुमति दय देलक अछि।  बताओल जा रहल अछि जे, सीसीआरएच 15 दिन पूर्वहि दिल्ली गेल छलाह। जतय मुजफ्फरपुर मे कॉलेजक प्रस्ताव के स्वीकार कय लेल गेल।आरबीटीएस होमियोपैथी मेडिकल कॉलेज एवं अस्पताल मे नवम्बर तक बिहारक पहिल होमियोपैथिक रिसर्च सेंटर खुजबाक उम्मीद कायल जा रहल अछि।

    सूत्रक अनुसार आरंभ मे श्वांसजनित बीमारीक दबाई पर रिसर्चक लेल स्थानीय डॉक्टर के संगहि देशक अन्य जगह स होमियोपैथ डॉक्टर लाओल जायत। पिछला दू वर्ष सं केन्द्र सरकार आयुष मंत्रालय के इन्सेफ्लाईटिस के रोकथामक लेल होमियोपैथ इलाज आ दबाई के उपयोगक सलाह दय रहल छल। मुदा बेहतर रिसर्च सेंटर नहि रहबाक कारने ई संभव नहि छल।

    अहि रिसर्च सेंटर मे एईएस पीड़ित बच्चाक लेल लक्षण पर आधारित दबाई तैयार कायल जायत। दबाई पर रिसर्चक लेल आवश्यक्ता पर एलोपैथ के वैज्ञानिक तथा डॉक्टर स सेहो सहयोगक बात बताओल जा रहल अछि।