आतंकी गतिविधि रोकबा मे सीआरपीएफ़ के कमांडर प्रमोद शहीद

    0
    269

    श्रीनगर, मिथिला मिरर: स्वतंत्रता दिवस एहेन शुभ अवसर पर श्रीनगर कें नौहट्टा मे सीआरपीएफ़ के कमांडिंग ऑफिसर प्रमोद कुमार शहीद भय गेलाह। शहीद कमांडर प्रमोद बिहार केर बख़्तियारपुर के छलाह। आतंकिक पैघ योजना कें नाकाम करबाक लेल प्रमोद स्वतंत्रता दिवस पर देशक शान मे तिरंगाक आन मे वीरगति के प्राप्त केलनि आ आतंकिक योजना के नाकाम केलनि। घटना मे 2 आतंकी सेहो मारल गेल संगहि सेनाक 9 गोट जवान घायल सेहो भय गेलाह।