समस्तीपुर के पटेल मैदान मे होयत गणतंत्र दिवसक मुख्य कार्यक्रम

    0
    288

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: जिलाधिकारी प्रणव कुमारक अध्यक्षता मे गणतंत्र दिवस केर आयोजनक तैयारी बैसक भेल। गणतंत्र दिवस केर मुख्य समारोह पटेल मैदान मे होयत। जतय समाज कल्याण विभाग सह जिला प्रभारी मंत्री मंजू वर्मा द्वारा झंडोत्तोलन कायल जायत। जिलाधिकारी कहलनि जे, जनवरी मे बहुतो महत्वपूर्ण समारोह निर्धारित अछि। 21 जनवरी कय मद्यनिषेध अभियानक तहत मानव श्रृंखलाक निर्माण, 24 जनवरी कय कर्पूरी जयंती, 26 जनवरी कय गणतंत्र दिवस अछि।

    ओ कहलनि जे, समारोहक गरिमा तथा गौरव बढेबाक लेल जिलाक सम्मानित नागरिक के सहयोग एवं सहभागिता अपेक्षित अछि। अहि के अतिरिक्त सब महादलित टोल मे 11.15 बजे पूर्वाह्न मे झंडोत्तोलन कायल जायत। अहि के सफल संचालन हेतु जिलाधिकारीक स्तर सं अधिकारीक प्रतिनियुक्ति सब महादलित टोल मे कायल जायत।

    पटेल मैदान मे सैप, स्काउट एण्ड गाइड, बीएमपी, एनसीसी, बिहार पुलिस आदि के परेडक व्यवस्था कायल गेल अछि। जकर पूर्वाभ्यास 15 जनवरी सं 23 जनवरी तक कायल जायत। 23 जनवरी कय अपराह्न 3 बजे परेडक निरीक्षण जिलाधिकारी एवं पुलिस अधीक्षक द्वारा कायल जायत।