दोसर चरणक मतदान जारी, 11 बजे तक 30% मतदान, 38 जिलाक 60गोट प्रखंडमे मतदान

    0
    406

    दिल्ली-मिथिला मिररः व्यापक हिंसाक खबैर बीच संपन्न भेल पहिल चरणक मतदानक बाद बृहस्पतिदिन दोसर चरणक लेल बिहारक 38 गोट जिलाक 60 गोट प्रखंडमे मतदान जारी अछि। भोरे सं भीषण गर्मीक बावजूदो मतदाता अपन जनप्रतिनिधि चुनवाक लेल सजग देखेहलाह। हालांकि जहिना-जहिना सूर्य देव अपन प्रताप देखवैत गेलाह तहिना-तहिना वोटिंग प्रतिशतमे किछु गिरावट देखल जा रहल अछि। छिटफुट घटनाकें जौं छोडि़ दी त 11 बजे तक 30 प्रतिशत मतदान हेवाक जानकारी राज्य चुनाव अधिकारी मीडिया कें देलनि अछि।
    राज्य चुनाव आयोगक मानी त मतदान कें शांतिपूर्ण ढंग सं संपन्न करेवाक लेल 50 हजार सं अधिक जवान कें तैनात कैल गेल अछि। सुरक्षामे 8 हजार सं अधिक पुलिस अधिकारी, 34 हजार 894 जवान तैनात कैल गेल छथि। पेट्रोलिंगक लेल सेंट्रल फोर्स हेवाक बात सेहो राज्य चुनाव आयोग कहि रहल अछि। दोसर चरणमे जिला परिषदक 124 सीट, मुखिया आ सरपंचक 891 सीट, पंचायत समितिक 1222 गोट सीट आ वार्ड सदस्य आ सरपंचक पंचकें 12193 पदक लेल मतदान जारी अछि।
    दोसर चरणक मतदानमे कुल 12,506 गोट मतदान केन्द्र बनाओल गेल अछि जखन कि 12,719 गोट मतदान दलकें गठन सेहो कैल गेल छैक। सुरक्षाक लेल 3,742 गोट पेट्रोलिंग टीम बनाओल गेल अछि। तहिना दोसर चरणमे वोट खसवैय वला वोटरक कुल संख्या 5985489 अछि जाहिमे पुरूष वोटरक संख्या 3198178 जखन कि महिला वोटरक संख्या 2797131 अछि।