दरभंगा बंदकें सर्मथनमे विहिप आ भाजपाक मशाल जुलुस

    0
    307

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: हावीडीह गोलीकांडकें विरोधमे 12 मई कए प्रस्तावित दरभंगा बंदकें सफल बनेबाक लेल भाजपा आ विश्व हिंदु परिषद दिस सं बृहस्पति दिन साँझमे मशाल जुलुस निकालि कए प्रशासनक खिलाफ नारेबाजी कएल गेल। भारतीय जनता पार्टीके नगर इकाई दिस सं दरभंगा क्षेत्रमे जहनकि विश्व हिंदु परिषद दिस सं लहेरियासराय क्षेत्रमे मशाल जुलुस निकालल गेल।

    मशाल जुलुसमे जितेन्द्र कुमार, पूर्व विधायक अशोक यादव, पिन्टु भंडारी, राजीव प्रताप मधुकर, अविनाश कुमार, मणिकांत ठाकुर, सूरज मिश्रा, मनोज कुमार झा पप्पू, दिलीप झा, आदित्य नारायण मन्ना, अमरनाथ मिश्रा, अशोक नायक, अमलेश झा, ज्योतिकृष्ण झा, अमित झा, संजीव कुमार आदि शामिल छलाह।

    ओतहि दरभंगा क्षेत्रमे भाजपाक मशाल जुलुसक नेतृत्व विधायक संजय सरावगी केलनि। ओ कहलनि जे, बंदकें आह्वान हावीभौआर आ हावीडीह गामक घटनाकें लए कएल गेल अछि। जुलुसमे विधान पार्षद अर्जुन सहनी, प्रमोद शरण साह, सुजिम मल्लिक, संगीत कुमार गुप्ता, दिलीप पासवान, आशिष, सुनील राय, विशाल, पिंटु राम, आर.के दत्ता, राम मनोहर, लक्की महासेठ, सचिन जैन इत्यादि शामिल छलाह।