100 मीनट धरि शीर्षासन कऽ विश्व रिकाॅर्ड कें चुनौति देलाहः योगाचार्य रवि व्योम

    0
    374

    दिल्ली-मिथिला मिररः मिथिला मिरर’क योग एक्सपर्ट आ युवा मुदा जानल-मानल योगाचार्य रवि व्योम शंकर झा बृहस्पतिदिन हरिद्वार स्थित पतंजलि आश्रममे मिथिला सहित दुनियाक लेल एकटा नव चमत्कार केलाह। योगाचार्य रवि व्योम शंकर झा पतंजिल आश्रममे 100 मीनट धरि लगातार शीर्षासन कऽ एखनकें शीर्षासनकें विश्व रिकाॅर्ड (90 मीनट) कें चुनौति देलाह। योगाचार्य रविकें अहि करतब देखि आचार्य बालकृष्ण सहित पतंजलिक बहुत रास हस्ति सब आश्चर्यचकित भय गेलाह।
    बादमे रवि व्योम शंकर झा केर शरीरमे बहुत रास मशीन (यंत्र) अहि बातक परिक्षण कैल गेलनि जे एक झटकामे कोनो रवि व्योम 100 मीनट धरि शीर्षासन कय विश्व रिकाॅर्ड कें चुनौति दय देलाह। रवि व्योमकें अहि कृतकें बाद पतंजलि योगपीठ एकटा टीम बना आब रवि व्योम पर अनुसंधान शुरू कय देलक अछि आ योगपीठ अहि बातक जानकारी जुटा रहल अछि जे योगाचार्य रवि व्योम शंकर झा केर शरीरमे एहन कोन तरहक चीज छन्हि जेकरा बदौलत ओ 100 मीनट तक सहज रूप सं शीर्षासन कय बिना कोनो परेशानी कें अपना सहज जीवनमे आबि गेलाह।
    पतंजलि योग संस्थान सं योगविद्यामे ज्ञान अर्जित केनिहार योगाचार्य रवि व्योम शंकर झा लिम्का बुक आॅफ रिकाॅर्ड सहित गिनीज बुक आॅफ वल्र्ड रिकाॅर्ड तक कें अपन प्रतिभाक विषयमे जना चुकल छथि। गिनीज बुक आॅफ वल्र्ड रिकाॅर्ड अहि बातक स्वीकृति सेहो दय देने छन्हि जे ओ शीघ्रहि एकटा टीमकें हुनका लग भेजतनि आ ओहिकें बाद आगूक प्रक्रिया शुरू कैल जायत। मिथिलाक शानकें विश्वक्षितिज तक लय जेवाक लेल मिथिला मिरर सहित संपूर्ण मिथिला दिस सं योगाचार्य रवि व्योग शंकर झा केर कोट सह बधाई आ अग्रिम शुभकामना।