बिहार चुनाव मे जनताक सुझाव सँ घोषणा पत्र बनाओत भाजपा, टॉल फ्री नंबर कएलक जारी

0
703

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी गहमागहमी केँ बीच आब राजनीतिक दल सभ अपन-अपन घोषणा पत्र बनेबाक तैयारी सेहो क’ रहल अछि।  एहि कड़ी मे भाजपा सेहो एक डेग आगू बढ़ी गेल अछि। रविदिन पटना स्थित प्रदेश कार्यालय मे आयोजित प्रेसवार्ता मे बिहार प्रदेशक अध्यक्ष संजय जयसवाल समेत अनेक नेता प्रेस केँ संबोधित कएलनि। आगामी विधानसभा चुनाव केँ ल’ भाजपा अपन घोषणा पत्र जारी करबा सँ पूर्व बिहारक जनता सँ सुझाव लेत। डॉ जयसवाल कहलनि जे जनताक जाहि तरहक सुझाव आओत ओहि केँ आधार पर घोषणा पत्र बनाओल जायत। एहि लेल एकटा टॉल फ्री नंबर सेहो जारी  कएल गेल।

बिहार भाजपाक प्रदेश अध्यक्ष संजय जायसवाल कहलनि जे जनता जनार्दन देल गेल नंबर पर कॉल अथवा मिस कॉल क’ सकैत छथि। वा अपन सुझाव चट्ठी केँ मार्फाद सेहो द’ सकैत छथि। बिहारक विकास लेल भाजपा प्रतिबद्ध अछि आ हुनका लोकनिक सुझाव पर अमल कएल जायत। एही अवसर पर संजय जायसवाल, मंत्री प्रेम कुमार, नीतीश मिश्र समेत अनेक भाजपा नेता सभ भाजपा ऑफिस मे टॉल भी नंबर 6357171717 आम आदमी लेल जारी कएलनि। एही नंबर केँ बारे मे जानकारी दैत कहल गेल जे मिस कॉल देलाक बाद एकटा दोसर नंबर सँ कॉल आयत जकर नाम आत्मनिर्भर बिहार अछि। ई कॉल रजिस्टर भ’ जायत आ किछु देर बाद मैसेज सेहो आओत। जाहि मे आत्मनिर्भर बिहार 2020 वेबसाइटक लिंक सेहो रहत। तकरा बाद लिंक पर क्लिक क’ पूर्ण जानकारी देबय पड़त।

जनतब दी जे कोरोना काल मे विधानसभा चुनाव प्रस्तावित अछि। लोक सभ सँ बेसी संपर्क करब उचित नहि। एही लेल तकनीक केँ मददि लेल जा रहल अछि। एतबे नहि एहि चुनाव मे वर्चुअल रैली केँ प्राथमिकता देल जायत। चुनाव के समय कोरोना गाइडलाइन केँ सेहो पालन करबाक छैक।