बिहार के अलगाववादक नर्सरी कहलनि केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह

    0
    271

    दिल्ली, मिथिला मिरर: केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह कहलनि जे, नीतीश कुमार शराबबंदीक सीढ़ी पर चढ़ि कय प्रधानमंत्री बनबाक सपना देखि रहल छथि जे कहियो पुर नहि होबय बला अछि। सुपौल मे भाजपाक तिरंगा यात्रा मे भाग लेबाक लेल पहुँचल केन्द्रीय मंत्री बिहार सरकार पर जमि कय निशाना साधलाह। अलगाववाद के मसला पर बाजैत ओ कहलनि जे, बिहार अलगाववादिक नर्सरी बनि गेल अछि।

    केंद्रीय मंत्री नीतीश कुमार स सवाल पुछैत कहलनि जे, पटना के कारगिल चौक पर पाकिस्तानी झंडा फहराओल गेल, पाकिस्तान जिन्दाबादक नारा लगाओल गेल आ सरकार चुप रहल, से कियाक। मुख्यमंत्री के गृह जिला नालंदा, बिहारशरीफ मे पाकिस्तान जिन्दाबादक नारा लागल मुदा मुख्यमंत्री चुप रहलाह।

    अहि के अलावा भोजपुर मे अतिपिछडा लोकक दोकान के एकटा खास समुदाय के लोक पुलिस के सामने जला देलक, सरकार अहियो पर चुप रहल। मंत्री सरकार पर बाढ़ि, शराबबंदी आ अपराध के मसला पर सेहो जमि कय निशाना साधलनि।