बिहार मे बाढ़ि सं एखन धरि 37 लोकक मौत

    0
    289

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे गंगा सहित अन्य नदी मे आयल बाढ़िक कारने एखन धरि 12 जिला मे 37 लोकक मौत भय चुकल अछि। राज्‍य के आपदा प्रबंधन विभाग के प्रधान सचिव व्‍यासजी बतौलनि जे, बाढ़ि प्रभावित 12 जिला मे 37 लोकक जान चलि गेल।

    व्यासजीक अनुसार भोजपुर मे 12, वैशाली मे 7, भागलपुर मे 2 टा लोकक मौत भेल अछि। ओतहि  बक्सर, लखीसराय, मुंगेर मे बाढ़िक चपेट मे 1-1 टा लोकक जान गेल अछि। अहि के अलावा समस्तीपुर मे 6, सारण मे 5 तथा खगड़िया मे 2 टा लोकक पानि मे डूबला सं मौत भय गेल। ओ कहलनि जे, पानि डूबि कय 28 टा जानवरक सेहो मौत भय चुकल अछि। अहि बेर बाढ़ि मे 73 प्रखंडक 31.33 लाख लोक प्रभावित भेल अछि।

    ज्ञात हो कि बिहार मे एखन गंगा नदी के बढ़ल जल स्तर एवं तेज जल प्रवाह के कारण बक्सर, भोजपुर, पटना, वैशाली, सारण, बेगूसराय, समस्तीपुर, लखीसराय, खगड़िया, मुंगेर, भागलपुर एवं कटिहार जिला मे कमोबेस बाढ़िक स्थिति उत्पन्न अछि।