पाग बचाउ अभियानक विधिवत शुरूआत 28 फरवरी कऽ दिल्ली सं

    0
    327
    दिल्ली-मिथिला मिररः अंग्रेजी भाषाक विद्वान आ मिथिलालोक नामक संस्थाक चेयरमैन डाॅ. बीरबल झा’क अगुआई मे शुरू कैल गेल पाग बचाउ अभियानक विधिवत शुभारंभ 28 फरवरी 2016 रविदिन सांझ 4 बजे दिल्ली स्थित राजेंद्र भवन सं हैत। एखन धरि मिथिलाक पागमे कोनो तरहक प्रयोग नहि हेवाक कारणें ओ अपन पुरान स्वरूपमे छल आ इहै कारण अछि कि पुरान स्वरूपक पागकें दीर्घकाल तक पहिर कय नहि राखल जा सकैत अछि। अहि बात कें गंभीरता सं लैत अंग्रेजी भाषाक जानल-मानल विद्वान डाॅ. बीरबल झा पाग पर किछु नव कार्य करवाक निर्णय लेने छलाह।
    आखिर पागक स्वरूपमे कोन तरहें नव प्रयोग कैल जायत अहि पर लगभग डेढ़ मास तक देशक जानल-मानल फैशन डिजाइनरक संग विस्तारित बातचीतक बाद मिथिलालोक आ डाॅ. झा कें अगुआईमे एहन पागक संरचना कैल गेल जाहि पाग कें दीर्घकाल तक सहज रूप सं पहिरल जा सकैत अछि। मिथिला मिरर संपादक सं विस्तारित बातचीत करैत डाॅ. बीरबल झा कहला जे माथ झपवाक परंपरा भारतक सब संस्कृतिमे रहलैक अछि चाहे ओ पंजाबी संस्कृति कें ली, चाहे मुस्लिम आ कि अन्य-अन्य, अगर हम हिन्दू संस्कृति कें बात करी त कोनो धर्म-कर्मक कार्यमे हमरा सब माथ झैप कऽ ओहि कार्यकें निष्पादित करैत छी।
    पाग मिथिलाक गौरव आ मैथिलक इज्जत थिक, लोक बातचीत मे अहि बातक उपमा दैत छथि जे फल्लांक कृत सं हुनका कुलक पाग उच्च भय गेलनि। तहिना आदि कवि बाबा विद्यापतिक माथ पर पाग मात्र सं अहि बातक परिचय भय जाइत अछि ओ बाबा मैथिल छलाह आ ओहि आधार पर बंगाली समुदाय द्वारा बाबा कें बंगाली कहबाक जे षड्यंत छल ओ समाप्त भय गेल। डाॅ. झा कहला जे मिथिलालोक पागक विभिन्न स्वरूप लय समाजक सोंझा आबि रहल अछि, जेकरा जन-जन तक पहुंचेवाक संकल्प मिथिलालोक लेलक अहि। जाति-पातिक बंधन सं उपर उठि मिथिलाक पाग कें स्त्री-पुरूष आ मिथिलाक सर्व धर्म तक पहुंचा, मिथिलाक पाग कें बिहार सरकार सं एकरा राज्य टोपीक रूपमे घोषित करवायब संस्थाक मुख्य लक्ष्य अछि।
    मिथिलालोक आ डाॅ. बीरबल झा कें द्वारा चलाओल जा रहल अछि पाग बचाउ अभियान कें बाॅलीवुडक स्थापित अभिनेता आ मैथिल पुत्र नरेन्द्र झा पहिने अपन सहमति दैत मिथिलालोकक पाग कें हिन्दी सिनेमा मे प्रयोग करवाक बात कहि चुकला अछि। मैथिलीक स्थापित अवाज धिरेंद्र प्रेमर्षी सेहो पागक अहि स्वरूपकें स्वागत कय चुकल छैथ। एतबे नहि देशक नामी-गिरामी ब्यूरोक्रैट्स सहित जानल-मानल शिक्षाविद सब सेहो अहि पाग बचाउ अभियान सं जुडि़ रहला अछि। दिल्ली सहित मिथिलाक गाम-गाम सं मिथिला मिररक पैघ दर्शक वर्ग सहित सोशल मीडिया पर पाग बचाउ अभियानक समर्थनमे लोक सब सामने आबि रहल छैथ।
    डाॅ. झा कहला जे रविदिन राजेंद्र भवन मे एकटा भव्य कार्यक्रम मे अहि अभियानक शुभारंभ कैल जायत। अहि कार्यक्रम मे उपस्थित हेवाक लेल 250 टकाक टिकट राखल गेल अछि, कार्यक्रम मे आयल सम्मानित दर्शक लोकनिक वास्ते संस्थाक दिस सं नव पाग आ भोजन व्यवस्था कैल गेल अछि। मिथिला मिरर सेहो अपने समस्त मैथिलजन सं आग्रह कय रहल अछि कि अपने सब बेसी सं बेसी संख्यामे आबि अहि अभियान सं जुडि़ आ मैथिल पाग कें विश्वक जन-जन तक पहुंचाबी।