दरोगा केलक शराबक नशा मे महिला संग छेड़छाड़

    0
    268

    सीतामढ़ी, सीतामढ़ीक बाजपट्टी मे कार्यरत एकटा दरोगा नीतीश सरकारक शराबबंदी के हवा निकालैत अप्पन करतूत स पुलिसक छवि खराब करबा मे कोनो कसर नहि छोड़लक। दरोगा पर शराब पिबाक आरोप त लगबे कायल अछि, संगहि शराब पीबि कय एकटा महिलाक संग छेड़खानी करबाक सेहो आरोप अछि। अहि मामला के बाद सोमदिन बाजपट्टी मे भरि दिन हंगामा होईत रहल।

    दरअसल, सीतामढ़ी के बाजपट्टी थाना मे दरोगा शिवेन्द्र पासवान पर रविदिन देर राति शराब पीबि कय हंगामा करबाक आरोप अछि। दरोगा किरायाक जहि मकान मे रहैत छल, ओतहि अप्पन पड़ोस मे रहय बाली एकटा महिलाक संग छेड़छाड़ करबाक प्रयास केलक।

    दरोगाक अहि हरकतक के जहन लोक विरोध केलक त दरोगा तामस मे ओतय मौजूद लोक पर अप्पन सर्विस रिवॉल्वर तानि देलक। मामलक शिकायत स्थानीय लोक जिला पुलिस अधीक्षक सं केलनि। सीतामढ़ीक एसपी सदर डीएसपी के मौका पर जा कय जांच करबाक आदेश जारी केलनि।

    सूत्रक अनुसार पुलिस दरोगाक अहि करतूत पर पर्दा डालबाक प्रयास कय रहल अछि। जकरा बाद स्थानीय लोक सड़क जाम कय प्रदर्शन करय लगलाह। बताओल जा रहल अछि जे, छापामारीक दौरान अधिक मात्रा मे शराब सेहो बरामद कायल गेल अछि।

    आरोपी दरोगा शिवेन्द्र पासवान पर जब्त शराबक बोतल के सेवनक चर्चा एतय आम अछि। एहेन मे सीतामढ़ीक बाजपट्टी मे भेल ई घटना नीतीश सरकारक शराब बंदी के हवा निकालि कय राखि देलक।