नीतीश कुमार प्रधानमंत्री संग बाढ़ि पर चर्चाक लेल दिल्ली रवाना भेलाह

    0
    289

    पटना, मिथिला मिरर: मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मंगलदिन एयर इंडिया के विमान स दिल्ली रवाना भेलाह। सूत्रक अनुसार मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सामाजिक चिंतक रघुवंश प्रसाद सिंहक लिखित पुस्तक ‘हम भीड़ है’ के विमोचन करबाक लेल दिल्ली गेलाह, जतय नीतीश प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सं सेहो भेंट करताह।

    सूत्रक अनुसार नीतीश 12 बाजि कय 40 मिनट पर नरेंद्र मोदी स हुनकर सरकारी आवास 7 रेसकोर्स पर भेंट करताह। अहि दौरान नीतीश बिहार मे आयल भीषण बाढ़ि आ राहत कार्य पर प्रधानमंत्री संग चर्चा करताह।

    सूत्रक अनुसार नीतीश बिहार भवन मे सेहो कार्यक्रम मे शिरकत करताह। ज्ञात हो कि बिहार आयल बाढ़ि के लय क सोमदिन नीतीश कुमार स गृहमंत्री राजनाथ सिंह फोन पर बातचित कयने छलाह।